समस्तीपुरमे बीएसएनएल अधिकारीकें भूख हड़ताल शुरू

    0
    267

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: ऑल इंडिया बीएसएनएल ज्वाइंट फोरम कार्यकारी अधिकारी एसोसिएशनकें आह्वान पर भारत संचार निगम लिमिटेड कार्यालय परिसरमे समस्तीपुर बीएसएनएल कार्यकारी अधिकारी एसोसिएशन मंगलदिन सं 72 घंटा धरि क्रमबद्ध भूख हड़ताल शुरू केलक अछि। एसडीओ अनिल कुमार स्वं भूख हड़ताल पर बैसल छथि। आंतरिक एसडीओ रामानुज कमलकेन अध्यक्षतामे एकटा सभा सेहो आयोजित कएल गेल।

    सभकेँ सम्बोधित करैत वक्ता सब कहलनि जे, मांग पूरा नहि हेबा तक क्रमबद्ध आंदोलन जारी रहत। आंदोलनक सामने प्रशासनकें झुकए पडत। आंदोलनक पहिल कड़ीमे 72 घंटा तक क्रमबद्ध भूख हड़ताल कएल जाएत। अहिकें बाद मांग नहि मानल जेबाक स्थितिमे 28 अप्रैल कए सब अधिकारी सामूहिक रूप सं अवकाश पर रहताह।

    सभाकें लेखा पदाधिकारी बिजय नाथ झा, एसडीओ उदय शंकर चौधरी, कनीय लेखा अधिकारी सत्य प्रकाश साह, एसडीओ पिटू कुमार, एसडीओ संतोष कुमार, एसडीओ रत्नेश्वर प्रसाद राय, कनीय दूरसंचार अधिकारी सचिन्द्र कुमार झा, जेएओ विकास कुमार मिश्रा, एसडीओ हरेंद्र कुमार, जेटीओ दशरथ कुमार दास, एसडीओ दिनेश झा, जेटीओ राजेश कुमार, जेटीओ अरुण प्रसाद, जेटीओ अर्चना ठाकुर आदि संबोधित केलनि।