मधुबनी मे दोकानक छत तोड़ि कय 50 हजारक चोरी

    0
    280

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनीक बेनीपट्टी थानाक बनकट्टा चौक स्थित कृष्ण कुमार झा के कपड़ा दोकान मे रविदिन राति चोर सब 50 हजार रुपैयाक साड़ी व रेडिमेड कपड़ा चोरा लेलक। चोर एसबेस्टस तोड़िकय दोकान मे प्रवेश कय चोरीक घटना के अंजाम देने छल।

    कृष्ण कुमार झा कहलनि जे, रविदिन राति दोकान बंद कय घर चलि गेल रही, भोरे दोकान खोलबाक लेल एलहुँ त दोकानक उपर स एस्बेस्टस टूटा छल। संगहि दोकान सं 25 पीस कीमती साड़ी, 12 पीस सूट पेंट, 25 पीस बच्चा के जीन्स व रेडिमेड कपड़ाक चोरी भय गेल छल।

    पुलिस घटनाक जांच कय रहल अछि। दुकान मालिक कृष्ण कुमार झा अहि संबंध मे थाना मे आवेदन देलनि अछि। ज्ञात हो कि 6 महीना पूर्व सेहो अहि दोकान मे एसबेस्टस तोड़िकय चोरी भेल छल।