68’म गणतंत्र दिवस पर पूरा हर्षोल्लासक संग फहराओल गेल तिरंगा

    0
    281

    दरभंगा, मिथिला मिरर-फखरे आलम: गणतंत्र दिवस केर अवसर पर दरभंगा थाना, प्रखंड कार्यालय, अंचल कार्यालय, स्कुल, आंगनवाड़ी केंद्र, चौक-चौराहा, मदरसा सहित सब सरकारी व गैर सरकारी संस्थान पर तिरंगा फ़हराओल गेल। 08:30 बजे घनश्यामपुर प्रखंड के ब्रह्मपुरा मसवासी पंचायतक मुखिया द्वारा मसवासी पंचायत भवन मे झंडातोलन कायल गेल।

    अहि अवसर पर मुखिया बेबी देवी, मुखिया के पति संतोष साहू, पंचायत समिति सदस्य, सब वार्डक वार्ड सदस्य व पंचायतक ग्रामीण मौजूद छलाह। 09:00 बजे घनश्यामपुर प्रखंड पर झंडातोलनक कार्यक्रम कायल गेल। 09:30 बजे थाना पर झंडातोलन कायल गेल। जाहि मे थाना प्रभारी, सब पुलिस जवान, प्रखंड विकास पदाधिकारी, अंचल अधिकारी, प्रखंड प्रमुख, प्रखंड उप-प्रमुख तथा जिप सदस्य मौजूद छलाह।

    सब विद्यालय के विद्यार्थी मे सेहो झंडा फहरेबाक तथा गणतंत्र दिवसक लेल उत्सुकता देखल गेल। बहुतो स्कूल मे अहि अवसर पर रंगा-रंग कार्यक्रम व पुरस्कृत कार्यक्रमक आयोजन कायल गेल।