ई की भेलै हो भगवान…

    0
    469

    दरभंगा,  मिथिला मिरर : केवटी थाना क्षेत्रक नवटोलिया (दड़िमा) गामक एकटा पान दुकानदार श्रवण यादव (45) केर हत्या क’ हुनके घर लग लाश फेंक देलक। श्रवणक घर दरभंगा-जयनगर राजमार्ग 105केँ कातेमे अछि। रविदिन भोरमे श्रवणक लहास बालूक ढेरपर भेटल। श्रवण ऑटो सेहो चलबैत छलाह। जखन श्रवणक लहास बालुक ढेर पर भेटल त’ परिजन सभकेँ होश उड़ि गेलनि, कन्नारोहट पसरि गेल ।  पत्नी बेर-बेर होशमे अबिते  कहैत छथि जे ई की भेलै हो भगवान? आब हमरा सभक गुजर कोना होयत आ फेरसँ बेहोश भ’ जायत छलीह। एहि घटनासँ पूरा गाम शोकाकुल भ’ गेल अछि। ग्रामीण सभक मुताबिक श्रवण सीधा-सादा आ मृदुभाषी छलाह। ओ गामेमे रहि क’ ऑटो चलबैत छलाह  आ साँझ क’ पानक दुकान चला अपन परिवारक भरण-पोषण करैत छलाह। श्रवण अपना पाछाँ  माय बाप संगे पत्नी आ चारिटा धिया पुताकेँ सेहो छोड़ि गेलाह। पूरा परिवार पर दुखक पहाड़ टूटि गेल। हत्यासँ आक्रोशित गामक लोकसभ भोरे सात बजे एनएच 105 जाम क’ देलथि। लोकसभ हत्याराके जल्दी गिरफ्तारी संगहि वरीय अधिकारी आ श्वान दस्ताके बजबै केर माँग क’ रहल छलाह। एहि घटनाक  सूचना पाबि वरीय अधिकारी सभ घटनास्थल पर श्वान दस्ताक संग पहुंचलाह तकर बाद नौ बजे जाम खूजल। एसडीपीओ अनोज कुमार बतौलनि जे मामलाक जाँच चलि रहल अछि।  बतादी जे श्रवणक माथ पर आ शरीरक आनो भागमे चोटक निशान देखल गेल संगहि गरदनिमे गमछा सेहो लपेटल छल। घटनास्थलसँ मोबाइल आ दुकानक चाभी सेहो भेटल अछि। अखनि तक श्वान दस्ताकेँ अपराधीसँ सम्बंधित कोनो ठोस सबूत पकड़वामे कुनो सफलता नै भेटलैक अछि।