ज्योतिरीश्वर सम्मान सं सम्मानित हेता ‘नचिकेता’ अनिलकें भेटतनि श्रीकांत मंडल सम्मान

    0
    306

    दिल्ली-मिथिला मिररः मैथिली रंगमंचक प्रतिष्ठित नाम मैलोरंग रेपर्टरीक द्वारा आगामी 18 एवं 19 जून कऽ राष्ट्रीय नाट्य विद्यालयक सम्मुख सभागार, भगवान दास रोड, मंडी हाउसमे मैथिली नाटक ‘आब मानि जाउ’कें मंचन कैल जाएत। दुनू दिन दू सत्रमे नाटकक मंचन कैल जा रहल अछि। पहिल सत्रमे नाटक बेरू पहर 03ः30 बजे शुरू हैत जखन कि दोसर सत्रमे सांझू पहर 06ः30 बजे नाटकक मंचन पूर्व निर्धारित अछि। स्व. अनिलचंद्र ठाकुर द्वारा लिखित अहि किताबक नाट्यरूपांतरण मुकेश झा केने छथि, जखन कि अहि नाटकक परिकल्पना एवं निर्देशन संस्थाक निर्देशक प्रकाश झा केर छैन्ह।
    एकरा अलावे 19 जून रविदिन किछु विशेष कार्यक्रम सेहो अछि जाहिमे संस्थाक दिस सं देल कला-संस्कृतिक क्षेत्रमे प्रत्येक वर्ष देल जाए वला दू गोट सम्मान क्रमशः ज्योतिरीश्वर सम्मान आ रंगकर्मी श्रीकांत मंडल सम्मान अहि बेर प्रो. उदय नारायण सिंह ‘नचिकेता’ कें दल जेतनि त दोसर श्रीकांत मंडल सम्मान मैथिली नाट्य मंच, टीवी धारावाहिक, आ फिल्मक जानल-मानल चेहरा अभिनेता अनिल मिश्रा कें सम्मानित कैल जेतनि। अहि सम्मानक तहत 5100/- टका नगद, यात्राक ट्रेनक टिकक संग-संग दिल्लीमे रहवाक लेल व्यवस्था कैल जाइत अछि। एकरा अलावे प्रशस्तिपत्र आ फूल-माला सं सम्मानित कैल जाइत अछि।
    मिथिला मिरर सेहो दिल्ली एनसीआरमे रहनिहार मैथिलजन सं अपील कऽ रहल अछि जे अपने सब बेसी सं बेसी संख्यामे आबि नाटकक आनंद ली। लेकिन ऐवा सं पूर्व एक बेर संस्थाक संपर्क सूत्र पर फोन कऽ अपन उपस्थितिक जानकारी अवश्ये दय दी।