पार्षद द्वारा आयोजित कएल गेल ‘जनता दरबार’

    0
    275

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुरकेँ वार्ड नम्बर 41कें पार्षद विजय कुमार झा रविदिन चतुर्भुज स्थान मंदिरमे ‘जनता दरबार’ लगेलनि। जाहिमे साढ़े तीन सौ लोक अप्पन-अप्पन समस्याक समाधानक लेल पहुँचल छल। जनता दरबारमे अधिक तर एहेन लाभार्थियों शामिल छल जकर विधवा, दिव्यांग व वृद्धा पेंशनक राशिक भुगतान नहि भेल अछि। पार्षद द्वारा अहि लाभुक सबहक बैंक पासबुक, आधार कार्ड व अन्य कागजात जमा कराओल गेल।

    सौ सं अधिक लोक आवास योजनाक फॉर्म भरलक। अहिकें अलावा 75 नव मतदाता नाम मतदाता सूचीमे शामिल करेबाक लेल फॉर्म जमा करौलनि। अहि दौरान प्रमोद कुमार, विकास कुमार झा, ऋषि कुमार, पलटू पासवान, बंटी, पशुपति प्रधान, धर्मेद्र शाही, पंकज शाही आदि जनता दरबारमे भाग लेलनि।