तय समय सीमामे अनुसंधान पूरा करथि अधिकारी : एसएसपी

    0
    354

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगाक एसएसपी मनोज कुमार सभ सर्किल इंस्पेक्टर आ विभिन्न कांडके आईओके निर्देश देलाह अछि जे निर्धारित समय सीमाक अंदर अनुसंधान पूरा कएल जाय। संगहि  घटनास्थलक निरीक्षण सेहो कोनो हालतमे करबाक आदेश जारी केलथि। कुनो केसक गवाहक  बातपर सेहो ध्यान रखैत जांच पूरा कएल जाय। एसएसपी शनिदिन एसपी ऑफिसमे विभिन्न मामलक चलि रहल इन्वेस्टीगेशनक स्थितिकेँ समीक्षा बैठकमे कहलाह। एसएसपी सभ आईओके विभिन्न मामलाक प्रगति रिपोर्ट प्रतिवेदन करबाक निर्देश देलथि संगहि सभ सर्किल इंस्पेक्टरकेँ  कहलाह जे अनेको मामलामे जाँच किएक लंबित अछि एकर रिपोर्ट सेहो देल जाय। सर्किल इंस्पेक्टरक अधीन आवयवला थानामे लंबित मामलाक  प्रगतिकेँ  लेल आवश्यक निर्देश सेहो देल जाय। एसएसपी कहलनि जे न्याय भेटवामे देरी भेला पर लोकक परेशानी बढ़ि जाइत छैक। बैठकमे डीएसपी (मुख्यालय) प्रफुल्ल कुमार सिन्हा, सदर एसडीपीओ अनोज कुमार, बेनीपुर एसडीपीओ उमेश्वर चौधरी, एसडीपीओ दिलीप कुमार झाक अलावे विभिन्न सर्किल इंस्पेक्टर सेहो उपस्थित छलाह।