प्रधानाचार्यकें वेबसाइट डेवलप करबाक निर्देश देलनि कुलपति

    0
    481

    दरभंगा, मिथिला मिरर: लनामिविविमे कुलपति प्रो. राज किशोर झा’क अध्यक्षतामे अंगीभूत कॉलेजक प्रधानाचार्यक बैसक शनिदिन संपन्न भेल। कुलसचिव डॉ. अजीत कुमार सिंह कहलनि जे, अहिमे सब सं पहिने प्रधानाचार्यकें कॉलेजक वेबसाइट डेवलप करबाक काज देल गेल। संगहि वित्तीय वर्ष 2009- 10 सं 2015- 16 तक राज्य सरकार सं विभिन्न योजना मदमे प्राप्त राशिके संबंधमे फार्म 42ए भरि कय शीघ्र जमा करबाक निर्देश देल गेल।

    नैक मूल्यांकन सं वंचित कॉलेजक प्रधानाचार्य सं अहि संबंधमे भेल प्रगतिक समीक्षा सेहो कएल गेल। संगहि नैक मूल्यांकन करय वला कॉलेजकें रूसा सं भेटय वला राशिक व्यय कय उपयोगिता प्रमाण प्रत्र शीघ्र जमा करेबाक लेल कहल गेल।

    प्रधानाचार्यकें वेबसाइट पर डीसीएफ-2 अपलोड करबाक लेल कहल गेल। राज्य सरकारके वेतन कोषांग सं वंचित शिक्षक व कर्मीके वेतन सत्यापन करा लेबाक दिशामे अग्रेतर कार्रवाई पर त्वरित गति सं काज करेबाक लेल कहल गेल। मौका पर सीसीडीसी डॉ. मुनेश्वर यादव, विकास पदाधिकारी डॉ. सुबोध यादव, ओएसडी डॉ. एसके राय सहित बहुतो प्रधानाचार्य मौजूद छलाह।