दरभंगा मे चाय दोकान सं 15 लीटर अंग्रेजी शराब बरामद

    0
    349

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत कुमार झा: दरभंगाक नगर थाना क्षेत्र अन्तर्गत मशरर्फ बाजारक एकटा चाय दोकान सं 15 लीटर अंग्रेजी शराब बरामद कायल गेल। सूत्रक अनुसार चाय दोकान मे शराब भेटबाक गुप्त सुचना भेटलाक बाद पुलिस जहन छापामारी केलक त लगभग 15 लीटर शराब बरामद कायल गेल, संगहि दू टा महिला के सेहो गिरफ्तार कायल गेल अछि।

    सूत्रक अनुसार चाय दोकान मे पहिनहि सं शराबक कारोबार चलैत छल, मुदा नीतीश कुमारक शराबबंदी कानूनक बाद एतय चोरा-नुका कय शराब भेटय लागल। जकर गुप्त सूचनाक बाद पुलिस छापामारी केलक। फिलहाल गिरफ्तार महिला सं पूछताछ जारी अछि। सूत्रक अनुसार उत्पाद अधीक्षक दिन बंधू सेहो मामलाक कारबाई मे जुटि गेल छथि।