70 साल केँ भेलाह प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी, राष्ट्रपति, उपराष्ट्रपति सहित अनेक देशक राष्ट्राध्यक्ष लोकनि देलनि बधाइ

0
1124

दिल्ली, मिथिला मिरर : भारतक प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी केँ आई जन्मदिन छनि। आई प्रधानमंत्री अपन जीवनक 70म साल मे प्रवेश क’ गेलाह। हुनक जन्मदिन पर देशक राष्ट्रपति, उपराष्ट्रपति अनेक राज्यक मुख्यमंत्री, समेत अनेक राष्ट्रक राष्ट्राध्यक्ष लोकनि ट्वीट क’ आ फ़ोन पर बधाई द’ रहलाह अछि। बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो प्रधानमंत्री केँ दीर्घायु हेबाक संदेश देलनि अछि। आमतौर पर प्रधानमंत्री अपन जन्मदिन सामान्य तरीका सँ मनबैत छथि।

मुदा एहिबेर प्रधानमंत्रीक जन्मदिन केँ भारतीय जनता पार्टी सेवा सप्ताह केँ रूप मे मना रहल अछि। भाजपा जगह जगह रक्तदान शिविर लगेने अछि। त’ किछु राज्य मे कोरोना केँ देखैत नर सेवा सँ जुड़ल कार्यक्रम जेना फल वितरण, सफाई अभियान आदि कार्यक्रम के आयोजन क’ रहल अछि। एहिबेर प्रधानमंत्री केँ जन्मदिन पर भारतीय जनता पार्टीक राष्ट्रीय मुख्यालय मे एकटा प्रदर्शनी सेहो लगाओल गेल अछि जाहि मे हुनक बचपन सँ ल’ अखनि धरि केँ जीवन सँ जुड़ल हरेक पहलु केँ प्रदर्शित कएल गेल अछि। ओतहि बिहारक दरभंगा मे मोदीजी के लेल हवन पूजन केँ कार्यकर्म सेहो कएल गेल अछि। ओतहि जगह जगह छोट छोट कार्यकर्म सेहो कएल जा रहल अछि।

एकटा प्रधानमंत्री केँ तौर पर हुनक दृढ इच्छाशक्ति ई साफ संकेत द’ रहल अछि जे देशक विकास लेल ओ सदिखन प्रयासरत रहैत छथि। प्रधानमंत्री अपन कार्यकाल मे कतेको एहन फैसला लेलनि अछि जे बहुत समय सँ बहुप्रतीक्षित छल। प्रधानमंत्रीक मजबूत इच्छा कें कारण बहुत एहन फैसला भेल जकर देशक अर्थव्यवस्था पर ब्यापक असर पडल। हालाँकि किछु फैसला सँ जनता जनार्दन केँ मुश्किल केँ सामना सेहो करय पड़लनि। देशक सुरक्षा आ समृद्धिक संग प्रधानमंत्रीक मजबूत इरादा देशक विकास लेल कतय धरि सार्थक भ’ रहल अछि एकर आंकलन त’ सियासी आ अर्थव्यवस्था केँ जानकार लोकनि करताह।  मुदा प्रधानमंत्री सदिखन देश किसान, गरीब, विज्ञान आ तकनीक के बल देबाक पक्षधर छथि। एही मे कोनो शक नै। प्रधानमंत्री के दीर्घ सोचक परिणाम अछि जे वैश्विक स्तर पर भारतक नाम ऊँच भ’ रहल अछि।