शिक्षा आ रोजगार पर प्रधानमंत्री मोदी आओर नीतीश कुमारक नीति फेल, जनता केँ द’ रहल छथि धोखा : पप्पू यादव

0
517

पटना, मिथिला मिरर : आई प्रधानमंत्री मोदी केँ जन्मदिन छनि। एक दिस देश भरि मे लोक सभ हुनका दीर्घायु आ यशस्वी हेबाक शुभकामना द’ रहल अछि, ओतहि विपक्ष आइ राष्ट्रीय बेरोजगार दिवस केँ रूप मे मना रहल अछि। बृहस्पतिदिन जन अधिकार पार्टीक राष्ट्रीय अध्यक्ष पप्पू यादव प्रेसवार्ता कएलनि, जाहि मे आई वो सत्ता आ विपक्ष दुनू पर रोजगार आ शिक्षा केँ मुद्दा पर घेरबाक कोशिश कएलनि।

पप्पू यादव कहलनि जे आई ट्वीटर पर बेरोजगारी ट्रेंड क’ रहल अछि। सवाल करैत प्रधानमंत्री मोदी आ नीतीश कुमार सँ पूछलनि जे आखिर एहन स्थिति किएक बनल। पैछला 30 साल सँ यूपीए आ एनडीएक सरकार रहल, तखन शिक्षा आ रोजगारक स्थिति एहन किएक अछि। प्रधानमंत्री सँ पुछ्लाह जे चुनाव केँ समय सरकार केँ शिक्षा रोजगार आ अन्य तरहक कार्यक्रम केँ किएक याद अबैत छनि। नीतिश केँ कठघरा मे ठाढ़ करैत कहलाह जे नीतीश कुमार बिहारक जनता संग छलावा क’ रहल अछि। ई विकासक नाम पर दलित, महादलित, पिछड़ा सभके उल्लू बना रहल अछि। राज्य मे रोजगारक भारी कमी अछि। कानून व्यवस्था लचर अछि। शिक्षा केँ नाम पर ठगल जा रहल अछि।

पापू यादव विपक्ष पर सेहो चुटकी लेलाह आ पूछलनि जे 15 बरख त’ अहूँ सत्ता मे रहि भला अहाँ किएक नै रोजगार आ शिक्षा जेहन मुद्दा केँ दरकिनार केने छलहूँ। रोजगार आ शिक्षा कोनो सोशल मीडिया पर ट्रेंड करेला सँ नहि भेटति अछि। एही लेल जमीन पर काज करय पड़ैत छैक। हवा-हवाई ट्रेंड कोनो कजाक नहि। पप्पू यादव आई पटना स्थित पार्टी कार्यालय मे संवाददाता सम्मलेन के संबोधित क’ रहल छलाह।

अपन पार्टिक योजना पर बात करैत जाप अध्यक्ष कहलनि जे हमर सरकार आओत त’  बिहारक बेटा-बेटी सभके रोजगार उपलब्ध करेनाइ पहिल प्राथमिकता रहत। बेटी केँ एक सालक भितर आ बेटा सभके दू बरख मे निश्चित रोजगार देत। जँ जाप सरकार अपन वादा नै पूरा क’ सकत त’ सरकार इस्तीफा द’ देत और हमहूँ राजनीति सँ संयास ल’ लेब। पप्पू यादव केँ मुताबिक अखनि धरि 15 करोड़ युवा बेरोजगार भ’ चुकल छथि आ आवय वला दिन मे ई संख्या बढ़ी क’ 35 करोड़ पर पहुँच जायत। देशक प्रधानमंत्री आ बिहारक मुख्यमंत्री दुनू जनता संग खिलवाड़ क’ रहल अछि। अगर हुनक सरकार बनत त’ बेटी केँ 20 हजार आ बेटा केँ 15 हजार तक केँ नौकरीक प्रावधान करत। एतबे नहि बेरोजगार लोकनि केँ  जखनि धरि रोजगार नहि भेटत तखन धरि 6 हजार टाका मासिक भत्ता देत।

पप्पू यादव कहलनि जे सरकारक गलत नीति केँ कारण आब लोकसभ आत्महत्या करबा लेल मजबूर भ’ रहल अछि। बिहारक 65 प्रतिशत युवा  बेरोजगारीक सामना क’ रहल अछि आ किसान सभक लग आर्थिक मुश्किल बढ़बाक कारण आत्महत्या सन स्थिति भ’ चुकल छनि।  नवका शिक्षा नीति केँ विरोध करैत कहलाह जे हुनक सरकार बनिते एहि नीति केँ खारिज क’ देल जायत। कहलनि नव शिक्षा नीति देशक 90 प्रतिशत बच्चा सभके शिक्षा सँ बंचित करबाक साजिस केँ तहत बनाओल गेल योजना अछि। शिक्षाक निजीकरण केँ बढ़ावा द’ सरकार केवट, बढई, नाई, धोबी, दलित महादलित सन अनेक पिछड़ल जातिक बच्चा सभके पढाई करबा सँ रोकबा लेल कएल गेल अछि। हमर सरकार अयलाह पर एक राष्ट्र एक शिक्षा नीति लागू करत।