आईसीयू मे रामविलास पासवान, चिराग लिखलनि लोजपा नेता सभकेँ भावुक चट्ठी

0
1071

दिल्ली/पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे विधानसभा चुनाव केँ ल’ सियासत भ’ रहल अछि। राज्यक दुनू गठबंधन अपना हिसाबे राजनीतिक समीकरण बना रहल अछि। एक तरफ हरेक दल चुनावी गणित बैसा रहल अछि। त’ दोसर दिस एनडीएक एकटा प्रमुख घटक दल लोजपा किछु अन्य कारण सँ चुनावी दंगल सँ कनि दूर चलि रहल अछि। खबरि अछि जे  लोक जनशक्ति पार्टीक संस्‍थापक आ केंद्रीय मंत्री राम विलास पासवानक स्वास्थ्य स्थिति मे सुधार नहि भ’ रहल छनि आ हुनका आईसीयू मे भर्ती कएल गेल अछि। पुत्र चिराग हुनका सेवा मे दिन राति लागल छथि। एहन परिस्थिति मे पुत्र धर्म केँ निर्वाह क’ रहल चिराग बिहार नहि आबि पाबी रहल छथि।

एहन स्थिति मे पिता केँ छोड़ी बिहार आयब संभव नै देखना जा रहल छनि। लिहाजा ओ अपन लोजपा नेता सभक नाम एकटा चिट्ठी लिखलनि अछि। चिट्ठी मे भाबुक होइत लिखलनि अछि जे पुत्रक नाते एहन परिस्थिति मे हुनका छोड़ी बिहार आयब मुश्किल अछि। हम मजबूर छी। चट्ठी मे नेता सभके स्पस्ट कहल गेल अछि जे बिहार मे चुनाव केँ ल’ सीट बँटवारा पर कोनो दलक संग कोनो तरहक बातचीत नहि भेल अछि। पिता बेर-बेर पटना जेबाक लेल कहैत छथि मुदा एहन मे छोड़ी क’ कोना आऊ। पिताजी कोरोना काल मे लोक सभकेँ राशन-पानि मे दिक्कत नै होई एहि लेल इलाज केँ टारैत रहला मुदा आब स्थिति चिंताजनक अछि।

चिराग पासवान आगू लिखने छथि जे पार्टी अध्‍यक्ष हेबाक नाते ओहि तमाम साथी केँ सेहो चिंता अछि जे ‘बिहार फस्‍ट बिहारी फर्स्‍ट’ लेल जीवन समर्पित क’ देने छथि। बिहारक भविष्‍य आ चुनाव मे सीटक बँटवारा केँ ल’ गठबंधनक घटक दल संग बात नहि भेल अछि। तैं अनावश्यक बयानबाजी सँ बचबाक आग्रह कएलनि अछि। मालूम होयत जे करीब तीन सप्ताह सँ रामविलास पासवान अस्पताल मे भर्ती छथि।