तेजस्वी पर रघुवरक तंज, राजद मे नहि अछि ईमानदार नेता सभक कद्र, नेतृत्वविहीन अछि विपक्ष

0
480

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे विधानसभा चुनाव केँ ल’ नेता सभक आवाजाही शुरू भ’ चुकल अछि। विधानसभा चुनाव मे देशक दिग्गज नेता सभ आब बिहार मे आबि रहल छथि। एहन मे भाजपाक नेता सभक आगमन बिहार मे बेसी भ’ रहल अछि। दरअसल मे बिहारक राजनीति मे जातीय समीकरण किछु विशेष हावी रहैत अछि। ताहि कारण हरेक जाति केँ ध्यान मे रखैत चुनावी एजेंडा तय कएल जाइत अछि। एहन मे बिहारक वैश्य वोट बैंक केँ साधवाक लेल भाजपा झारखंडक पूर्व मुख्यमंत्री रघुवर दस केँ मैदान मे उतारलक अछि। सामाजिक समरसता केँ देखैत लगभग हरेक दल एहन करैत अछि।

बिहार आयल रघुवर दस विपक्ष पर हमलावर छथि। रघुवर दास चुनावी कार्यकर्म मे कहलनि  जे भाजपा सामाजिक समरसता केँ रस्ता पर चलैत अछि। पार्टी कहियो परिवारवाद-जातिवादक राजनीति केँ समर्थक नहि रहल अछि। जाहि तरहेँ बिहारक किछु राजनीतिक दल मे परिवारवाद आ जातिवाद हावी अछि स्वस्थ लोकतंत्र लेल खतरा अछि। कोनो पार्टी वंशवादक समर्थन करय जुनी उचित नहि।

दशकों सँ दिल्ली मे कांग्रेस आ बिहार मे राजद यैह काज करैत आबि रहल अछि। एहन मे एहिबेर चुनाव परिवारवाद बनाम लोकतंत्र केँ होमय जा रहल अछि। राजद पर तंज कसैत कहलनि जे जाहि पार्टी मे अपन वरिष्ठ आ बुजुर्ग के सम्मान नहि कएल जाइत होई  ओही पार्टीक विचारधारा की होयत से जानि सकैत छी। रघुवंश बाबुक नाम लेने बिना कहलाह जे एकटा वरिष्ठ नेता अपन जीवनक बहुमुल्य 32 साल कोनो दल केँ दैत छथि आ अंतिम समय मे कोन तरहक बयानबाजी हुनका खिलाफ कएल गेल निश्चित रूप सँ जनता केँ सोचबा पर मजबूर क’ देलक अछि।

नेतृत्वविहीन गठबंधन मे घटक दलक जे अपमान कएल जा रहल अछि किनको सँ छुपल नहि अछि। भाजपा अपन सहयोगी दल संग एहन व्यवहार करत सपनो मे नहि सोचल जा सकैत छी जाहि तरहें महागठबंधन मे भ’ रहल अछि। प्रधानमंत्री तुष्टिकरण केँ राजनीति पर विश्वास नहि करैत छथि। ओ अपन सम्पूर्ण जीवन राष्ट्र सेवा मे लगा देने छथि। बिहार मे डबल इंजनक सरकार अछि आ नीतीश कुमार जहिया सँ बिहारक कमान थामने छथि बिहारक विकास द्रूत गति सँ भ’ रहल अछि। पंडित दिन दयाल उपाध्याय आ श्यामा प्रसाद मुखर्जीक सपना साकार भ’ रहल अछि। समाजक हरेक तबका केँ ध्यान मे राखि योजना बनाओल जा रहल अछि।

बतादी जे बिहारक लगभग हरेक विधानसभा सीट मे वैश्य समाज केँ वोट छनि। बिहार मे करीब वैश्य समाज के 30 सँ बेसी जाति अछि। वैश्य समाजक वोट केँ एकत्रित करवा लेल पैछला चारि दिन सँ रघुवर दास बिहारक विभिन्न जिला मे चुनावी कार्यकर्म क’ रहलाह अछि। देखबाक बात होयत जे चुनाव मे एहि सँ पार्टी केँ कतेक फायदा होइत छैक।