जल्दिये सहरसा-गढ़ बरुआरीकेँ बीच पुनः शुरू होयत रेल परिचालन

0
652

सुपौल/भागलपुर, मिथिला मिरर : सहरसा-फारबिसगंज रेलखंड पर सहरसा आ गढ़ बरुआरी रेलवे स्टेशनकेँ बीच चलि रहल आमान परिवर्तनक काज पूरा भ’ चुकल अछि। जल्दिये सहरसा-बरुआरीकेँ बीच रेल परिचालनकेँ संभावना बनि रहल अछि। आशा कएल जा रहल अछि जे मार्च 2019सँ सहरसा-बरुआरीकेँ बीच रेलगाड़ीक परिचालन शुरू भ’ जायत। बुधदिन यानि 20 फरवरीकेँ सहरसासँ चलि क’ एकटा ट्राइल ट्रेन गढ़ बरुआरी रेलवे स्टेशन पहुँचल। ट्राइल ट्रेन पर सवार चीफ इंजीनियर निर्माण एसके शर्मा, चीफ इंजीनियर ओपन लाइन नेगी, डिप्टी चीफ इंजीनियर निर्माण डीएस श्रीवास्तव गढ़ बरुआरी रेलवे स्टेशन पहुँचलाह। ट्राइल ट्रेनकेँ दिनक 11 बजे एसएसई पीबे सुनील कुमार, सुभाष चन्द्र झा, सुभाष कुमार, अशोक कुमार, एसएसई पीबे आरजे प्रसाद द्वारा झंडी देखा क’ सहरसासँ रवाना कएल गेल। बताओल जा रहल अछि जे ट्राइल ट्रेन 110 किलोमीटर प्रति घंटाकेँ रफ्तारसँ चलाओल गेल। जाहिकेँ बाद गढ़ बरुआरीसँ पुन: ट्रैकक निरीक्षण करैत मध्यम गतिसँ वापिस भेल। रेल ट्रैकक हरेक छोट-पैघ कमीकेँ जाँच रिपोर्ट बनाओल जायत। जेकर निराकरणकेँ बाद सीआरएस द्वारा ट्राइल ट्रेन चलाओल जायत। अधिकारी लोकनि उम्मीद जतेलनि जे मार्चसँ सहरसा-गढ़ बरुआरीकेँ बीच रेल सेवा बहाल होयबाक आसार अछि। गढ़ बरुआरी रेलवे स्टेशन पहुँचल अधिकारी लोकनि कहलनि जे विशेष काज सभ पूरा भ’ चुकल अछि। स्टेशनक सौंदर्यीकरण आ मानककेँ अनुरूप यात्री सुविधाक सेहो पूर्ण तरहें ख्याल राखल जायत।

आठ मार्चसँ मंडुवाडीह धरि जाएत अपर इंडिया एक्सप्रेस

भागलपुरकेँ रस्ते सियालदहसँ चलि क’ वाराणसी तक जाय वाली अपर इंडिया एक्सप्रेस ट्रेनक विस्तार मंडुवाडीह स्टेशन तक क’ देल गेल अछि। आठ मार्चसँ अपर इंडिया मंडुवाडीहसँ अप-डाउन करत। परिचालन विस्तार होयबासँ बनारस हिंदू विवि (बीएचयू), काशी विश्वनाथ मंदिर आ पौराणिक दशाश्वमेध घाट जाय वला यात्रि लोकनिकेँ सहूलियत होयत। वाराणसी कैंटकेँ अपेक्षा मंडुवाडीह स्टेशनसँ एहि जगहकेँ दूरी कम होयत। रेलवे बोर्ड एहि संदर्भमे अधिसूचना जारी क’ देलक। पूर्व रेलवे मुख्यालकेँ सेहो चिठ्ठी पठा देल गेलनि। दरअसल, ट्रेन संख्या 13133/34 अपर इंडिया एक्सप्रेस ट्रेनक परिचालन अखनि सियालदह-वाराणसीकेँ बीच भ’ रहल अछि। यात्री लोकनिक माँग पर रेलवे एकर परिचालन विस्तारका निर्णय लेलक। भागलपुर स्टेशन पर अपर इंडिया एक्सप्रेसकेँ समयमे कोनो बदलाव नै कएल गेल अछि। एतय अपर इंडिया एक्सप्रेस भोर 6.40 मे आओत आ 6.50 बजे खुजत। एतयसँ खुजलाक बाद जमालुपर, किऊल, पटना आ वाराणसी होइत राती 10.10 बजे मंडुवाडीह पहुँचत। ओतहि वापसीमे ई ट्रेन भोर 8.15 बजे रवाना होयत आ रात्रि 11.45 बजे भागलपुर पहुँचत।