कीर्ति आज़ाद कहलनि जेटली बिन पेंदीक लोटा, मोदी लहर के बावजूद नहि जीत सकलाह चुनाव

    0
    311

    दरभंगा, मिथिला मिरर: भाजपा सं निलंबित दरभंगाक सांसद कीर्ति आज़ाद एकबेर फेर भाजपा संग अरुण जेटली आ सुशिल मोदी पर जमि कय बरसलाह। कीर्ति आज़ाद कहलनि जे, सुशील मोदी मिथिलांचलक विकास मे सब सं पैघ बाधक छथि, ओ बिहार मे टेबल पॉलिटिक्स कय रहल छथि। जनताक बीच छोटका मोदीक कोनो जनाधार नहि।

    ओ केंद्रीय मंत्री जेटली पर निशाना साधैत कहलनि जे. हम भ्रष्टाचारक खिलाफ आवाज उठेलहुँ त हमरा निलंबित कय देल गेल। हम सड़क सं संसद तक मिथिलाक लेल संघर्ष केलहु अछि, हमरा जनता वोट देलनि आ हम पुनः सांसद बनलहू परंतु एतेक पैघ मोदी लहर मे अरुण जेटली के जनता नकारि देलक।

    ओ कहलनि जे, मधुबनीक गिनती मिथिलाक सर्वाधिक पिछड़ल जिला मे होइत अछि, जहन कि सांस्कृतिक रूप सं मधुबनी सब सं उन्नत अछि। आज़ाद मधुबनी मे एम्स आ केंद्रीय विद्यालय खोलबाक लेल आमलोक के गोलबंद हेबाक आह्वान केलनि। ओतहि, ओ कहलनि जे, बिहार मे 51.25% लोक मैथिली बाजैत अछि, तकर बादो मैथिली भाषा के बिहारक भाषा के रूप मे स्थापित नहि कायल जा रहल अछि।

    ओतहि, नीतीश कुमारक सात निश्चय के कीर्ति झा आजाद सराहना केलनि आ कहलनि जे, नीतीश कुमार द्वारा लेल गेल साथ निश्चय बिहारक जनता के हित मे अछि। यदि ई सही धरातल पर उतरत त बिहारक सर्वांगीण विकास होयत।