लालू यादव के प्रधानमंत्री बला बयान पर रघुवंश कहलनि एहेन बयान अपरिपक्वताक निशानी

    0
    503

    पटना, मिथिला मिरर: लालू यादव द्वारा नीतीश कुमार के प्रधानमंत्री मेटेरियल कहलाक बाद आरजेडी के वरिष्ठ नेता रघुवंश प्रसाद सिंह आरजेडी के मुखिया पर पलटवार केलन्हि। जानकारी के अनुसार रघुवंश कहलनि जे, भाजपाक विरोधी सब पार्टी के एकटा मंच पर आबि कय अप्पन नेता चुनबाक चाही।

    सूत्रक अनुसार रघुवंश कहलनि जे, एखन लोकसभा चुनाव बहुत दूर अछि। एखनहि सं प्रधानमंत्री मेटेरियल पर बात करब अपरिपक्व बला बात अछि। ज्ञात हो कि लालू यादव राहुल गांधी पर निशाना साधैत कहने छलाह जे, राहुल गाँधी हमरा लेल प्रधानमंत्री मेटेरियल नहि, बल्कि प्रधानमंत्री मेटेरियल के लेल हमर पहिल पसंद नीतीश कुमार छथि।