नाबालिग लड़की के अपहरण कय 23 दिन धरि केलक गैंगरेप

    0
    417

    सुपौल, मिथिला मिरर: सुपौल के रतनपुरा थाना अन्तर्गत 14 वर्षीय 9 वीं कक्षाक छात्रा के 4 अगस्तक साँझ मे दू टा अपराधी जबरन अपहरण कय लगातार 23 दिन धरि दुष्कर्म केलक। अहि संबंध मे पुलिस ने दू टा अपराधी के गिरफ्तार केलक अछि। दूनू आरोपी के पहचान बलुआ थाना क्षेत्रक अरुण कुमार आ वीरपुर थाना क्षेत्रक भवानीपुर निवासी संतोष कुमार राम के रूप मे कायल गेल।

    जानकारीक अनुसार अपहरण केलाक बाद किछु दिन बसंतपुर मे रखलक आ फेर नेपालक इटहरी मे 17 दिन तक लगातार एकटा कमरा मे राखि क गैंगरेप के घटना के अंजाम देलक। रतनपुरा थानाध्यक्ष ज्वाला प्रसाद बतौलनि जे, गुप्त सूचनाक आधार पर भीमनगर ओपी क्षेत्र स पीड़िता के बरामद कायल गेल। मोबाइल नंबर के लोकेशन पर दूनू आरोपी के गिरफ्तार कायल गेल।

    गौरतबल अछि कि है 4 अगस्तक साँझ मे दूनू युवक लड़की के अपहरण केने छल। लड़की बाजार स घर जा रहल छल कि तखनहि पाछु सं दूनू युवक लड़की को जबरदस्ती मोटरसाइकिल पर बैसा क भागल छल।