बिहारमे सेहो तेज भेल अवैध बूचड़खाना बंद करबाक मांग

    0
    332

    पटना, मिथिला मिरर: उत्तर प्रदेशमे अवैध बूचड़खाना पर लागल रोककें बाद आब बिहारमे सेहो अहिके लए राजनीति तेज भए गेल अछि। झारखंडमे जारी भेल अधिसूचनाक बाद बिहारमे सेहो ई मांग जोर पकड़लक अछि जे, सरकारकें अवैध बूचड़खाना पर रोक लगेबाक चाही।

    सत्तारूढ़ दलक एकटा विधायक अवैध बूचड़खाना बंद करबाक मांग केलक अछि। पटना सं सटल मनेर’क राजद विधायक आ लालूके करीबी भाई वीरेन्द्र कहलनि जे, बिहारमे अवैध बूचडखाना बंद हेबाक चाही। ओ कहलनि जे, किछु अवैध काज होईत अछि ओ सब बंद हेबाक चाही। हालांकि ओ इहो कहलनि जे, भाजपा बूचडखानाके बहाने हिन्दू कार्ड खेला रहल अछि।

    अहि सं पहिने भाजपा नेता सहो अहि मांगकें सदनमे उठेने छल। भाजपा दिस सं केंद्रीय मंत्री आ पार्टीके फायरब्रांड नेता गिरिराज सिंह समेत बहुतो नेता अहि मांगकें दोहरेलनि। विधानसभामे नेता प्रतिपक्ष प्रेम कुमार सदनमे राज्य सरकार सं यूपी जेना बिहारमे सेहो अवैध पशु कत्लखाना बंद करबाक मांग केलनि।