ओबीसी आयोगकें संवैधानिक दर्जा देबाक लेल प्रधानमंत्रीकें धन्यवाद ज्ञापित केलनि ओबीसी सांसद प्रतिनिधिमंडल

    0
    250

    दिल्ली, मिथिला मिरर: ओबीसी सांसद प्रतिनिधिमंडल बुधदिन प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी सं भेंट कए धन्यवाद ज्ञापित केलनि। प्रतिनिधि मंडलमे हुकुमदेव नारायण यादव, भूपेन्द्र यादव, संजय जायसवाल, रमेश वैश्य, गणेश सिंह इत्यादि सांसद शामिल छलाह। ओबीसी सांसद’क ई प्रतिनिधि मंडल ओबीसी आयोगकें संवैधानिक दर्जा देबाक लेल प्रधानमंत्रीकें धन्यवाद ज्ञापित केलनि।

    अहि अवसर पर प्रतिनिधि मंडल कहलक जे, समाजमे गरीब एवं पिछड़ा वर्गोंक समतामूलक व्यवस्था देबामे ई एकटा अभूतपूर्व कदम अछि जे, न्यायपूर्ण भारतक निर्माण करत। प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीकें नेतृत्वमे केंद्र सरकार द्वारा देशकें सामाजिक आ शैक्षिक रूप सं पिछड़ल वर्गक लेल ई एकटा ऐतिहासिक, न्यायपूर्ण एवं सामाजिक न्यायक महत्वपूर्ण कदम उठाओल गेल अछि।