वाहन चोर गिरोहक आधा दर्जन अपराधी गिरफ्तार

    0
    332

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: समस्तीपुर पुलिस के एकटा बहुत पैघ सफलता हाथ लागल अछि। पुलिस द्वारा चलाओल जा रहल विशेष अभियान के तहत रोसड़ा पुलिस कार्रवाई करैत मोटरसाइकिल लिफ्टर गिरोहक छह टा कुख्यात अपराधी के लूटल गेल मोटरसाइकिल के संग गिरफ्तार कायल गेल।

    पुलिस पकड़ल गेल अपराधी के संग सं चोरी के सात टा मोटरसाइकिल आ चारि टा मोबाइल बरामद केलक अछि। समस्तीपुर एसपी नवल किशोर सिंह कहलनि जे, पकड़ल गेल अहि अपराधी पर रोसड़ा थाना मे चारि आ शिवाजीनगर थाना मे एक टा मामला दर्ज अछि।

    गिरफ्तार अपराधी मे भिरहा के अशोक राय, हरिपुर के गौतम कुमार मंडल, सिंघिया थान के अगरोल निवासी दुर्गेश कुमार झा, हसनपुर के परोरिया निवासी पिंटू कुमार, टेकुनामठ के मकुन कुमार झा आ बेगूसराय जिला के बलिया थाना क्षेत्रक मनोज कुमार सिंह उर्फ़ लाल जी शामिल अछि।

    मोटरसाइकिल लूट आ चोरी के मामला मे रोसड़ा थाना के अहि अपराधीक तलाश छल। पुलिस पकड़ल गेल अपराधी स पूछताछ की रहल अछि।