स्वर्ण व्यवसायी के गोली मारि कय हत्या

    0
    270

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: जिला के कांटी थाना क्षेत्र मे रविदिन राति मे एकटा स्वर्ण व्यवसायी के गोली मारी कय हत्या कय देल गेल। पुलिस सूत्रक अनुसार यशोदा मठ गाम निवासी स्वर्ण व्यवसायी शिवेश कुमार (31) कांटी बाजार स्थित दुकान बंद कय घर वापस आबि रहल छल कि तहने रतनपुरा गाम के निकट पहिने सं घात लगा कय बैसल अपराधी गोली मारि कय गंभीर रुप स घायल कय देलक।घायल शिवेश के इलाजक लेल श्रीकृष्ण मेडिकल कॉलेज अस्पताल ल जायल गेल, जतय व्यवसायी के मौत भय गेल।