44 सालक भेल समस्तीपुर जिला…

    0
    276

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: बिहारक समस्तीपुर जिला सोमदिन क अप्पन 44 वां स्थापना दिवस मना रहल अछि। अझुके दिन 14 नवम्बर 1972 क दरभंगा सं अलग भय क एकटा नव जिला के रूप मे समस्तीपुर अस्तित्व मे आयल छल।

    समस्तीपुर के पटेल मैदान मे आयोजित स्थापना दिवस समारोहक उदघाट्न बिहार विधान सभा के अध्यक्ष विजय कुमार चौधरी दीप प्रज्वलित कय केलनि। अहि मौक़ा पर ओ समस्तीपुर के इतिहास आ अहिके विकास पर विस्तार पूर्वक प्रकाश देलनि।

    जिलाक स्थापना दिवस के अहि मौका पर मंच सं अतिथि सब समस्तीपुर जिला गजेटियर जकर नाम समेटियर देल गेल अछि तकर लोकार्पण सेहो केलनि। अहि मौका पर बहुत रास आकर्षक प्रदर्शनी अलग-अलग विभाग लगउने छल, जे स्थापना दिवस मे आबय वला लोकक लेल आकर्षणक केंद्र बनल रहल। अहि मौका पर रंगोली पेंटिंग सहित बहुत रास अलग-अलग विधा मे प्रतियोगिताक आयोजन कायल गेल छल।