सीतामढ़ी के प्रधान डाकघर मे रुपैया समाप्ति पर भेल तोड़फोड़

    0
    277

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: बिहार मे सीतामढ़ी के जिला मुख्यालय डुमरा स्थित प्रधान डाकघर मे रविदिन रुपैया नहि भेटला सं आक्रोशित लोक जमि कय तोड़फोड़ केलनि। बहुत देर धरि कतार मे लागल लोक के जहन ई जानकारी भेटल जे, डाकघर मे कैश समाप्त भय गेल त लोकक सब्रक बांध टूटि गेल।

    सूत्रक अनुसार कैश समाप्ति के बाद लोक खूब हंगामा केलक। डाकघरक सुरक्षा मे तैनात सुरक्षाकर्मी लोक के शांत करबाक प्रयास केलक, तहन लोक और अधिक आक्रोशित भय गेल आ कैश काउन्टर’क शीशा के क्षतिग्रस्त कय देलक। बाद मे मौका पर स्थानीय थाना पुलिस पहुंचल आ हंगामा कय रहल लोक के भगेलक।