गैरेज मे लगाओल गेल आगि, पांच लाखक क्षति

    0
    243

    मधुबनी, मिथिला मिरर:  हरलाखी थानाक उमगांव अंबेदकर चौक स्थित एकटा मोटरसाइकिल गैरेज मे रविदिन राति अचानक आगि लगला सं दू टा बुलेट सहित पांच टा मोटरसाइकिल व अन्य सामान जरि कय खाक भय गेल। आगि सं करीब पांच लाखक क्षति के अनुमान लगाओल जा रहल अछि। पीड़ित एकटा ग्रामीण पर आगि लगेबाक आरोप लगबैत थाना मे घटनाक लिखित शिकायत केलक अछि।

    जानकारी के अनुसार सोठगाम निवासी मो. तमन्ने के गैरेज मे राति के दू बजे अचानक आगि लागि गेल। देखते-देखते आगि पूरा तरहे गैरेज के चपेट मे लय लेलक। पीड़ित मो. तमन्ने हरलाखी थाना समेत वरीय अधिकारी के आवेदन दय कहलक अछि जे, गामक अहमद अंसारीक पुत्र मो. मोइनुद्दीन के जमीन पर हम दोकान चलबैत छी। मोइनुद्दीन के भाई के बीच जमीनक बंटवारा भेल छल। जाहि के बाद हमरा दोकान खाली करबाक लेल कहल गेल छल, मुदा हम किछु दिनक समय मंगने छलहुँ त दोकान मे आगि लगेबाक धमकी देल गेल छल।