डीएमसीएचमे एचआईवी मरीजक इलाजमे भेदभाव

    0
    335

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगाक डीमएसीएचमे एचआईवी पीड़ितक इलाजमे भेदभाव होईत अछि। ई भेदभाव आब आम बात भेल जा रहल अछि। डॉक्टर लग ऐहेन मरीजक उपचार नहि करबाक बहुतो बहन्ना अछि। ई बहन्ना मरीजक डिस्चार्य स्लिप पर भेटि जाइत अछि। छोट सं छोट उपचारक लेल डीएमसीएचके डॉक्टर रेफर्स टू मुजफ्फपुर करैत छथि।

    अहि सं पहिने एहेन बहुतो मरीजक संग घटना घटि चुकल अछि। वर्तमानमे ऐहेन तीनटा मरीजक संग भेल अछि। जकर उदाहरण करहिया गामक निवासी एकटा पुरूष मरीजक एचआईवी सं मौत भेल। ई रोग ओकर पत्नीकें सेहो भए गेल अछि। पत्नीकें एचआईवीकें संग गॉल ब्लाडरमे पथरी रोगक शिकायत छल।

    पीड़िताकें इलाजक लेल 27 मार्च कए सर्जरीके डॉ. जीसी कर्णक यूनिटमे भर्ती कराओल गेल छल। एचआईबीक जानकारीके बाद डॉक्टर बहुत दिन धरि जांच पड़तालकें टाल मटोल करैत रहल। अंतत: डॉक्टर अहि गॉल ब्लाडरके ऑपरेशनक लेल पीएमसीएच रेफर कए देलक।