नहरिमे पानि नै छोड़लासँ किसान परेशान

    0
    294

    भागलपुर, मिथिला मिरर : धानरोपनीक महिनामे जँ खेतमे पानि नै रहत त’ किसान धनरोपनी कोना करताह? बिन पानि धानक फसल नै भ’ सकैत अछि। एहनमे जँ नहरिमे पानि रहितो खेत धरि नै पहूंचय त’ निश्चित रूपेँ खेतिहरक लेल चिंताजनक बात थिक।  मामला भागलपुरक चैनपुर पंचायतक रहुआमणिक  नहरमे पानि रहितो चैनपुर उपवितरणी नहरमे पानि नै छोड़ल गेल अछि। ई उपवितरणी नहरि बरियाही, बनगांव दक्षिणी, पड़री, चैनपुर पंचायतक बहियारकें  रस्ते जाइत अछि। एहि उपवितरणी नहरिसँ  किसानक खेतक सिंचाइ सस्तमे भ’ जाइत छैक। एहि नहरिसँ  लगभग 200 किसान परिवार केर लाभ भेटैत छन्हि  मुदा एहि बेर उपवितरणी नहरिमे पानि नै रहलासँ खेतिहर किसान परेशान भ’ रहल छथि।  अहुना गामक सभ किसान लग दमकल त’ नै रहैत छन्हि।  एहनमे किसान किराया पर पटौनी क’ खेती करैत छथि।  जाहि कारण खेती केनाइ एकटा घाटाक सौदा भेल जा रहल छैक।  एहन स्थिति देखि चैनपुर पंचायतक मुखिया सोनी देवी सहित सभ किसान चैनपुर उपवितरणीमे जल्दिये पानि छोड़वाक अनुरोध विभागीय पदाधिकारीगणसँ  केलक अछि।  आशा करैत छी जे सम्बंधित पदाधिकारी स्थितिकेँ संज्ञानमे लइत खेतिहर किसानक सुधि लेताह जेहिसँ हुनका लोकनिकेँ सुखारक स्थितिसँ  छुटकारा भेट सकनि।