समस्तीपुर मे राष्ट्रीय ध्वजक अपमान के मामला थाना पहुंचल

    0
    549

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: जिला के विभिन्न स्थान पर राष्ट्रीय ध्वजक अपमान कायल गेल। अहि बाबत शिकायत दर्ज कराओल गेल अछि। अहि मे निकसपुर पंचायतक मुखिया द्वारा झंडोत्तोलन के पश्चात कतिपय लोक द्वारा तिरंगा के उतारिकय अपमानित कायल गेल। जकर मुखिया पूजा देवी ताजपुर थाना मे लिखित शिकायत केलनि। अहि मे आरोपी के विरुद्ध सख्त कार्रवाईक मांग कायल गेल अछि। थानाध्यक्ष मनोज कुमार जांचक उपरांत कार्रवाईक बात कहलनि।

    वारिसनगर प्रखंड क्षेत्रक किशनपुर स्थित व्यापार मंडल मे झंडोत्तोलन के उपरांत असामाजिक तत्व झंडा के बास मे आगि लगा देलक। मामलाक सूचना पर वारिसनगर थानाक अनि शंभू आचार्या घटनास्थल पर पहुंच कय मामलाक जांच केलनि। जांचक क्रम मे ज्ञात भेल जे, अज्ञात द्वारा आगि लागेला सं पूर्व झंडा खोलल गेल छल।

    व्यापार मंडल के प्रबंधक सह बीसीओ सुनील कुमार चौधरी के अनुसार मजिस्ट्रेटक रूप मे प्रतिनियुक्ति रहलाक कारण बोर्ड सदस्य गणेश राय द्वारा झंडोत्तोलन कायल गेल। साँझ मे झंडा उतारबाक लेल प्रदीप लाभ के कहल गेल छल। हालांकि, मोमबत्ती स आगि लगबाक बात कहल जा रहल अछि।