सीतामढ़ी मे युवकक हत्या कय लहास के खेत मे फेंकलक

    0
    285

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: सीतामढ़ी के परसौनी थानाक रमनी गाम मे एकटा युवकक कंठ दबाकय हत्या कय लहास के सरेह मे फेंक देल गेल। बृहस्पति दिन भोर मे लहास देखलाक बाद सनसनी मचि गेल। ग्रामीण मृतकक पहचान परमेश्वर महतो के पुत्र सुशील कुमार (30) के रूप मे केलक अछि।

    जानकारी के अनुसार, सुशील हैदराबाद मे निजी कंपनी मे काज करैत छल। अप्पन विवाहक सिलसिला मे घर आयल छल। पिछला रविदिन छेंका भेल छल। बुधदिन साँझ ओ अप्पन घर स निकलल मुदा, वापस नहि आयल।

    अलस्सुबह सरेह मे लहास भेटला के सूचना पर पहुंचल परिजन मृतक के पहचान केलक अछि। मौका पर पहुंचल थानाध्यक्ष लालबाबू प्रसाद यादव, इंस्पेक्टर रामाकांत सिंह आं एसडीपीओ अमरकेश डी घटनास्थलक मुआयना केलनि। आवश्यक औपरचारिकता पूरा भेला के बाद लहास के पोस्टमार्टमक लेल सदर अस्पताल पठाओल गेल।