सहरसा जिला राजद अध्यक्षक हत्या, विपक्ष त दूर सत्ता पक्षक नेता सेहो निशाना पर

    0
    279

    दिल्ली-मिथिला मिररः बिहारमे अपराधीक हौसला अहि तरहे बुलंद भय चुकल अछि कि ओकरा नहि त प्रशासनक कोनो डर छैक आ नहि घटना कें अंजाम तक पहुंचेवा मे कोनो तरहक परेशानी। ताजा मामला मे सहरसा जिलाक युवा राजद अध्यक्ष श्याम सुंदर दास तांती हत्या शनिदिन राइत तेज हथियार सं कय देल गेल। युवा नेता अपना घर सूबेदार टोल सं राइत 11 बजे लूंगी आ शर्ट मे बाहर निकलल छलाह लेकिन गाम सं करीब एक किलोमीटर दूर खेत मे राइत करीब 1 बजे हुनकर हत्या अज्ञात अपराधी द्वारा कय देल गेल।
    घटनाकें प्रकाश मे एलाक बाद जखन लोक युवा जिलाध्यक्षक शव तक पहुंचल त ओहि ठाम जाहि तरहक दृश्य छलैक ओ नृशंस हत्याक प्रमाण देवाक लेल बहुत छल। युवा नेताक आंखि मे चाकू लागल छल जखन कि गरदनि पड़ कोनो तेज हथियार सं वार कैल गेल छलैक। घटनाक बाद आस-पासक इलाका मे स्थिति तनावपूर्ण भय गेल।
    दिन भरि नेता लोकनिक आवाजाही युवा नेताक घर पर लागल रहल। अहि क्रम मे जन अधिकार पार्टीक अध्यक्ष आ मधेपुरा सं सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव सेहो मृतक नेताक परिजन सं भेंट कय परिवार कें ढाढस बन्हौलनि। प्रायः एक सप्ताह मे इ दोसर घटना थिक जाहि मे राष्ट्रीय जनता दल आ हुनकर परिवारक सदस्य कें हत्या कैल गेल। अहि सं पहिने राजद विधायक कें बहिन कें सरेआम हत्या कय देल गेल छलनि। सुशासन बाबूक सरकार मे विपक्षी दलक नेताक हत्या त होइत रहल छल मुदा आब सत्ता पक्षक नेता आ हुनका लोकनिक परिजन कें जौं निशाना बनाओल जा रहल अछि त फेर आम लोकक की हैत?