लंबित कांडकें शीघ्र निष्पादन करबाक निर्देश देलनि डीएसपी

    0
    730

    मधुबनी, मिथिला मिरर: जयनगर अनुमंडल पुलिस पदाधिकारीकें कार्यालय कक्षमे अनुमंडल स्तरीय अपराध समीक्षा बैसककें आयोजन कएल गेल। डीएसपी सुमित कुमारक अध्यक्षतामे आयोजित बैसकमे अनुमंडलके सब चारि थानाक थाना अध्यक्ष भाग लेलनि। बैसकमे अपराध नियंत्रणकें लए गहन विचार-विमर्श करैत बहुतो निर्णय लेल गेल।

    डीएसपी सब थाना अध्यक्षकें लंबित कांडक शीघ्र निष्पादन करबाक निर्देश देलनि। फरार वारंटियकें गिरफ्तार करबा, अपराध नियंत्रणकें लए गश्ती अभियान तेज करबाक निर्देश सेहो देल गेल। डीएसपी आसन्न नगर निकाय चुनावक मद्देनजर शराब तस्करीमे शामिल लोककेँ चिन्हित करैत आवश्यक कार्रवाई करबाक निर्देश थाना अध्यक्षकें देलनि।

    ओ अनुमंडल क्षेत्रमे विधि व्यवस्था कायम रखबाक लए सब स्तर पर चौकसी बरतबाक निर्देश देलनि। बादमे पत्रकार सं बातचीत करैत डीएसपी कहलनि जे, अनुमंडल क्षेत्रमे बढ़ैत अपराधकें हर हालमे नियंत्रित कएल जाएत। सब थाना अध्यक्षकें अहि दिशामे कार्रवाई करबाक निर्देश देल गेल। जयनगर थानाक अपराध नियंत्रण हेतु दू गोट पैंथर मोबाइल उपलब्ध कराओल गेल।