बेगूसराय मे मिनी बस दुर्घटना, खलासी’क मौत 12 गोट यात्री घायल

    0
    293

    बेगूसराय, मिथिला मिरर: तेघड़ा थाना क्षेत्र मे शनिदिन एकटा मिनी बस के पलटला सं उप चालक के मौत भय गेल तथा 12 यात्री घायल भय गेलाह। पुलिस सूत्रक अनुसार समस्तीपुर स बेगूसराय आबि रहल बस बस मोटरसाइकिल सवार के बचेबाक दौरान तेघड़ा चौक के निकट सड़क के कछेर मे उलटि गेल। जाहि मे उप चालक के मौत भय गेल तथा 12 टा यात्री घायल भय गेलाह।

    घायल यात्री के स्थानीय लोक तथा प्रसाशन द्वारा नजदीकी अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल, जतय अधिकांश यात्रीक स्थिति सामान्य बताओल जा रहल अछि।