झारखंड मिथिला मंच रांची आगामी 14 अगस्त कऽ मनाओत भोला बाबाकें महारूद्राभिषेक

    0
    254

    रांची-मिथिला मिररः  झारखंड मिथिला मंच रांचीक तत्वावधानमे पैछला बरखक भांति अहू वर्ष दिनाँक 14 अगस्त 2016 तदनुसार रविदिन हरमु पंचमंदिर केर प्राँगण मे ‘महारूद्राभिषेक’ यज्ञ करे आयोजन भए रहल अछि। अहि यज्ञकें लेल ‘लगमा आश्रम’ सँ 11 गोट ‘वैदिक’ एवं आचार्य अओताह आ सम्सत विद्वानगण मिली यज्ञ संपन्न करौताह।
    महारूद्राभिषेक सं पूर्व तैयारी प्रारंभ भए गेल अछि, स्वयंसेवक सब युद्धस्तर पर जुटि गेल छथि। सिमरिया स गंगाजल मंगबै स ल कऽ वैदिक सब सॅ संपर्क कएल जा रहल अछि। पं मोहन जी झा ‘वैदिक’ कें निर्देशन मे सबटा काज संपन्न भ रहल अछि।
    अहि बेर यजमानकें लेल मंचक अभिभावक अमरनाथ झा (अध्यापक) कें चुनल गेल छन्हि। सपत्नी अमरनाथ झा मास्टर साहेब अहि बेर विधि-विधान कें संग यज्ञ करताह। मंदिरक साज-सज्जा एवं यज्ञ केना निर्विघ्न सपन्न हो अहि लेल कार्यकर्ता सब ऐखनहि स विभिन्न तरहक योजना बना रहल छथि। एकटा बात त विश्वासक संग कहल जा सकैछ जे स्वयंसेवकगण केर परिश्रम और बाबा के आशीर्वाद सं यज्ञ अद्वितीय होएत। अपने सपरिवार अहि यज्ञमे सादर आमंत्रित छी।
    रांची सं सुजीत झा केर समाद