शराब बंदी के लय सदन मे आमने-सामने भेलाह नीतीश-मोदी

    0
    262
    सुशील मोदी कहलनि जे, मुख्यमंत्री कांग्रेसक सत्ता वला राज्य तथा बंगाल आ दिल्ली मे शराबबंदी पर किया नै बजै छथि। मोदी नीतीश पर आरोप लगबैत कहलनि जे, झारखण्ड मे बीजेपीक सरकार अछि आ यूपी मे मुलायम हिनकर संग नहि देलनि ताहि दुआरे अहि दू राज्य मे हंगामा मचौने छथि।
    ओतहि, मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सुशील मोदीक सवालक जवाब दैत कहलनि जे, बिहार मे आब जल्दिये ताड़ीक जगह नीराक उपयोग कायल जायत, जाहि लेल कार्य कायल जा रहल अछि। मुख्यमंत्री कहलनि जे, भाजपाक लोक भांगक आदि बनि रहल छथि। नीतीश कहलनि जे, आब बस, आब बिहार मे शराबक कोनो नव फैक्ट्री नहि खुजत, आ जे कोनो पुरान फैक्टी अछि ओ सरकारी परमिशनक अनुसार चलत।