दरभंगाक एसएसपी रमाशंकर राय के देल गेल विदाई

    0
    234

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगाक पूर्व अपर पुलिस अधीक्षक व प्रभारी एसएसपी रमाशंकर राय के विदाई देल गेल। दरभंगा परिसदन मे आयोजित कार्यक्रम के संबोधित करैत पुलिस कर्मी राय के कार्यक सराहना केलनि आ कहलनि जे, राय विधानसभा चुनाव आ पंचायत चुनावक नोडल पदाधिकारी रहैत जे काज केलनि ओ अपना आप मे सराहनीय छल।

    अपर पुलिस अधीक्षक दिलनवाज अहमद कहलनि जे, रमाशंकर राय कोनो भी काज के हसैत-हंसैत कय लैत छलाह। जाहि सं पुलिस कर्मी पर दवाब नहि रहैत छल। ओतहि रमाशंकर राय अप्पन संबोधन मे कहलनि जे, कोनो काज के लक्ष्य बनाकय करबा सं ओ काज आसान भय जाइत अछि।

    ओ कहलनि जे, दूनू चुनाव शांतिपूर्ण ढ़ंग सं करेबाक लेल जिला मे बहुतो प्रशस्ती पत्र भेटल, मुदा यातायातक समस्या सं जिला के ओ निजात नहि दय सकलाह।