समस्तीपुर मे फल विक्रेताक गरदनि काटि कय हत्या

    0
    511

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: बिहारक समस्तीपुर जिला के हसनपुर थाना क्षेत्र मे अपराधी मंगलदिन राति एकटा फल विक्रेताक धादार हथियार सं गला काटि कय हत्या कय देलक अछि।

    जानकारी के अनुसार बताओल जा रहल अछि जे, हसनपुर बाजार स्थित अप्पन फलक दोकान मे सुतल राजेश चौधरी (40) के देर राति अपराधी गला रेत कय हत्या कय देलक। मृतक अहि थाना क्षेत्रक मलहीपुर गामक निवासी छल। हत्या के कारणक तत्काल पता नहि चलल अछि।

    घटना जानकारी भेटलाक बाद पुलिस मामलाक छानबीन कय रहल अछि। फिलहाल अज्ञात अपराधी पर मामला दर्ज करोल जा चुकल अछि।