तीन तलाक कहला पर तमसाएल पत्नी जुत्ता सं केलक पतिक पिटाई

    0
    282

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगाकें बिरौल थाना क्षेत्रक नेउरी नवटोलिया गाममे दहेज़ नहि देबाक कारण पति तलाक, तलाक, तलाक कहि पत्नीकें तलाक देलक त तमसाएल पत्नी पुलिसक सामने पतिकें जुत्ता सं धुनाई कए देलक। पत्नीक विकराल रूप देखि पति जान बचाकए भागए लागल मुदा पत्नी कोनो हालमे पतिकेँ छोड़बाक मूडमे नहि छल।

    नवटोलिया गामक सुलेमानक पुत्र महफूज दहेज़ नहि देबाक कारण अपन पत्नीकें तलाक देलक। ई मामला जहन बिरौल थाना पहुंचल त इंस्पेक्टर जीतेन्द्र नारायण सिंह वर पक्षके लोककेँ थाना पर बजेलनि। पुलिस दुनू पक्षोंक बीच मामला पर सहमति बनबाक कोशिश केलक, मुदा पुलिसक लाख प्रयासके बावजूद लड़का पक्ष नहि मानलक आ तलाकक बात पर अड़ल रहल। महिला सब बात सुनलाक पतिकेँ पिट देलक।

    फोटो: काल्पनिक