मुजफ्फरपुरमे एसएसबीक जवान देलक स्वच्छताक संदेश

    0
    313

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: स्वच्छ भारत मिशनकें तहत एसएसबीक जवान सफाई अभियान चलाकय स्वच्छताक संदेश देलक अछि। 27 म वाहिनी सशस्त्र सीमा बल सं जुड़ल अधिकारी आ जवान द्वारा बाबा गरीबनाथ धाम आ नारायणपुर अनंत स्टेशनके समीप सफाई अभियान चलाओल गेल।

    कमाडेंट हृषिकेश शर्मा कहलनि जे, ई कार्यक्रम स्वच्छ भारत अभियानक तहत नियमित चलि रहल अछि। मुजफ्फरपुरके संग-संग वैशालीमे पातेपुर रोड महुआक गांधी चौक, जीरोमाइल चौक बस पड़ाव पर जागरूकता आ सफाई कार्यक्रम चलाओल जा रहल अछि।

    अहिकेँ संग जहानाबाद आ गयामे सेहो अभियान चलाओल जा रहल अछि। ओ कहलनि जे, यदि अपन आस-पास सफाई राखब त बहुतरास बीमारी सं बचल जा सकैत अछि। मौक़ा पर डिप्टी कमांडेंट अलोक कुमार, डॉ.सुधांशु, श्री कृष्णण आदि मौजूद छलाह।