प्रबंधन नीतिक खिलाफ प्रदर्शन केलक जूट मिलकर्मी

    0
    226

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: विभिन्न मांगक लेल रामेश्वर जूट मिल्स मजदूर यूनियन बुधदिन शहरक सरकारी बस स्टैंड परिसरमे धरना प्रदर्शन केलक। यूनियन मिल प्रबंधन पर मजदूरक प्रति उपेक्षापूर्ण आ नकारात्मक रवैया अपनेबाक आरोप लगाबैत विरोध केलक। धरना पर बैसल मिलकर्मी प्रबंधनक खिलाफ जमिकय नारेबजी केलक।

    यूनियनक विभिन्न मांगमे 2010 सं रिटायर एवं त्याग पत्र दय चुकल सब कर्मचारी व श्रमिककें ग्रेच्युटीक अविलंब भुगतान करबा, वर्ष 2016 सं श्रमिकक पीएफ फंडक अंशदान शीघ्र जमा करबा तथा कारखानाक जर्जर भवनक जीर्णोद्धार करब शामिल अछि। यूनियनक नेता जिला समाहर्ताकें एकटा मांग पत्र सौंपलक अछि। अहिमे मामलामे हस्तक्षेप कय त्वरित कारवाईकें मांग कएल गेल अछि।

    धरनामे संगठनक महामंत्री अमरनाथ सिंह, अध्यक्ष नौशाद आलम, कोषाध्यक्ष मो. शमीम, लालबाबू राय, रामसेवक महतो, दिलीप कुमार राय, रंजीत कुमार राय, देवेंद्र सिंह पासवान, उमेश चौधरी, रंजीत राम समेत दर्जनो लोक शामिल छल।