दुर्घटना मे घायल लोकक इलाजक लेल 3.5 करोड़क संपत्ति केलनि दान

    0
    265

    मिथिला मिरर: ओना त अधिकांश नेताक लेल अहाँ सबहक मोन मे भ्रष्ट आ दागीक छवि होयत मुदा ई खबरि पढ़लाक बाद मोनक खयाल बदलि जायत। बिहारक ई नेता सड़क दुर्घटना मे घायल होबय बला लोकक समय पर इलाजक लेल अप्पन दू बिघा जमीन राज्य सरकार के दान मे दय देलनि।

    बिहार विधान परिषद के पूर्व सदस्य संजय झा सड़क हादसा मे घायल होबय बला लोकक इलाज के लेल अप्पन दू बिघा जमीन राज्य सरकार के दान मे दय देलनि। ई जमीन मधुबनी जिलाक झंझारपुर मे NH-57 स सटले अछि, जाकर कीमत करीब 3.5 करोड़ बताओल जा रहल अछि।

    पूर्व विधान परिषद सदस्य कहलनि जे, ओना त कोनो घटना या बिमारीक वजह सं किनको मृत्यु अत्यंत दुखदायी होइत अछि, मुदा यदि किनको मृत्यु इलाजक अभाव मे होइत अछि त ओ बहुत हृदय विदारक होइत अछि। ओ कहलनि जे, फोरलेन सड़क बनलाक बाद अहि इलाका मे हादसाक संख्या मे इजाफा भेल अछि। दुर्घटना मे गंभीर रूप सं घायल लोकक समय सं इलाज शुरु नहि भेलाक वजह स अधिकांश लोकक जान चलि जायत अछि।

    संजय झा कहलनि ‘हम मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सं भेंट कय NH-57 के नजदीक एकटा ट्रॉमा सेंटरक निर्माणक बात रखने रही। मुख्यमंत्री बिना देरी के अहि मांग के स्वीकार कय लेलनि।’ जदयू नेता कहलनि जे, 4.7 करोड़ रुपैयाक लागत सं बनय बला अहि ट्रॉमा सेंटर के पहिने को झंझारपुर सिविल अस्पताल मे बनेबाक विचार छल, मुदा ओ हाइवे सं 4 किलोमीटरक दूरी पर छल। हाइवे के आसपास भेलाक कारने अधिक सं अधिक लोक के अहि सं फायदा भेटतनि।

    ओ कहलनि जे, सड़क के नजदीक ट्रॉमा सेंटर के निर्माणक लेल हम हाइवे के बगल बला ई जमीन राज्य सरकार के दय देलियनि। आब ई ट्रॉमा सेंटर बनि कय तैयार अछि, आ उम्मीद अछि जे, आबय बला किछुए महिना मे एतय लोकक इलाज शुरु भय जायत।