बेनीपट्टी एसबीआइ मे ग्राहकक रोड़ेबाजी मे दू गोटे घायल

    0
    302

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी के बेनीपट्टीक बेहटा चौक स्थित एसबीआइ के शाखा मे रुपैयाक लेन देन करबाक लेल आओल लोक काज मे विलंब हेबा पर आक्रोशित भय गेल, तथा बैंक मे रोड़ेबाजी शुरू कय देलक। रोड़ेबाजी स बैंकक काउंटर क्षतिग्रस्त भय गेल। ओतहि चौकीदार एवं एकटा कर्मी के चोट सेहो लागल अछि। बाद मे एसबीआइ के शाखा प्रबंधक आ अन्य लोकक सहयोग सं लोग के शांत कायल जा सकल।

    घटना के लय शाखा प्रबंधक बनारसी पासवान बतौलनि जे, भोर मे करीब दस बजे स अन्य दिनक भांति पांच गोट काउंटर पर रुपैयाक लेन-दने शुरू कायल गेल छल। सब किछु ठीक ठाक चलि रहल छल। बैंक मे करीब 28 लाख रुपैया छल। अचानक दुपहर मे किछु लोक रोड़ेबाजी शुरू कय देलक एवं बैंक कर्मी के संग दुर्व्यवहार शुरू कय देलक। जाहि मे बैंकक सुरक्षा मे लागल चौकीदार सुरजीत मंडल के घायल हेबाक बात कहल जा रहल अछि।