मधुबनीक अस्पताल मे नहि भेटल जगह त सड़क पर देलनि बच्चा के जन्म

    0
    287

    दरभंगा, मिथिला मिरर: बिहारक दरभंगाक प्रसव पीड़ा सं परेशान एकटा महिला के मधुबनीक जयनगर अनुमंडलीय अस्पताल मे जगह नहि देल गेल। हालत एहेन भय गेल जे, गर्भवती के बीच सड़क पर प्रसव क मजबूर होबय पड़ल। उचित चिकित्सा सुविधाक अभाव मे जन्मक आधा घंटा बाद बच्चा दम तोड़ि देलक। अहि के बाद हड़बड़ायल डॉक्टर महिला के आनन-फानन मे अस्पताल मे भर्ती करौलक।

    जानकारी के अनुसार दरभंगा जिला के ककरघाटीक महिला मुनवा देवी (25) प्रसव पीड़ा हेबा पर अनुमंडल अस्पताल मे भर्ती हेबाक लेल गेल छल। चिकित्सक महिला एवं महिलाक परिजन के भगा देलक। 300 मीटर के दूरी तय केलाक बाद महिलाक प्रसव पीड़ा तेज भय गेल। बाद मे महिला सब सड़क पर चादर सं घेरी कय महिलाक प्रसव करेलनि। प्रसव के दौराव तथा बाद मे उचिंत चिकित्सकीय सुविधा नहि भेटला के कारण बच्चा मरि गेल।

    घटनाक सूचना पर जयनगर अनुमंडल अस्पताल के कर्मी हड़बड़ा गेल। कार्रवाईक आशंका सं पीडि़ता मुनवा देवी के अस्पताल मे जगह देल गेल। अहि सं जयनगर नागरिक मंच के संयोजक राम प्रसाद राउत मददि केलनि। हालांकि, अहि विषय मे पुछला पर अस्पताल के चिकित्सा प्रभारी डॉ. एसके विश्वकर्मा कहलनि जे, महिला के रेफर कय देल गेल छल।