मधुबनीक कन्हौली पंचायतमे दवंग उम्मीदवार केलक अपन प्रतिद्वंदी पर जानलेवा हमला

    0
    448

    मधुबनी ब्यूरो,मिथिला मिरर-पारस ठाकुरः पंचायत चुनाव 2016 कें नामांकन प्रक्रिया शुरू होइते एक दोसर उमीदवारक बीच आपसी द्वन्द बढ़ि गेल अइछ। चुनावी प्रतिद्वंदिता कें लय एक दोसर पर जानलेवा हमला करय पर उतारू भ गेल छैथ। मधुबनी जिलाक खजौली प्रखंडक कन्हौली पंचायत सँ एकटा एहने मामला सामने आयल अछि। कन्हौली पंचायत कें हरिशवाड़ा गाम मे शनिदिन कें राइत वार्ड संख्या 13 सँ नामांकन केने रामाशीष मंडल अपन प्रतिद्वंदी उम्मीदवार बलदेव मंडल कें वार्ड 13 सँ नामांकन नहि करवाक लेल दवाब बना रहल छलाह।
    ओ हुनकर बात नहि मानि वार्ड सदस्य पद सँ नामांकन करयकें जिद्द धेने रहलाह। ताहि कें विरोध मे रामाशीष मंडल किछु लोक कें सहियोग सं हुनकर घर मे कथित रूप सं घुइस लूटपाट कें संग हुनक पत्नी ललिया देवी आ पुतोहु पूनम देवी पर धारदार हथियार सँ हमला कऽ गंभीर रूप सँ जख्मी कय देलक। गंभीर रूप सँ जख्मी भेल ललिया देवी कें खजौली अस्पताल मे प्राथमिक उपचार करेवा लेल भेजल गेल मुदा स्थिति गंभीर देखि चिकित्सक डॉ प्रवीण रंजन डीएमसीएच रेफर कऽ देलाह। एहि सम्बन्ध मे बलदेव के बयान पर खजौली थाना में एफआईआर दर्ज कैल गेल अछि।