पटना के बिहटा हवाई अड्डा’क विस्तारक लेल राशि मंजूर

    0
    265

    पटना, मिथिला मिरर: पटनावासी के आब दू टा हवाई अड्डाक सुविधा भेटतनि। पटना हवाईअड्डा के संग-संग बिहटा हवाईअड्डा के सेहो आब नागरिक सेवाक लेल विस्तारित कायल जायत। दूनू हवाई अड्डा पर सालाना 15-15 लाख यात्री के एबा-जेबाक संग ठहरबाक लेल सुविधाएं बढ़ाओल जा रहल अछि।

    पटना हवाई अड्डा के पुरान बिल्डिंग के तोड़ि कय नव बनाओल जायत। ओतहि, बिहटा हवाईअड्डा के लेल 109 एकड़ जमीन अधिग्रहण कय एयरफोर्स के संग कॉमर्शियल तौर पर इस्तेमाल करबाक व्यवस्थाक फैसला कायल गेल अछि।

    मंगलदिन कैबिनेटक बैसक मे दूनू हवाईअड्डा पर सुविधा बढेबाक आ जमीन अधिग्रहण करबाक लेल 260 करोड़क राशि स्वीकृत कायल गेल। मंगलदिन कैबिनेटक बैसक मे कुल 18 एजेडा पर मोहर लागल।