मैथिलीक चर्चित गीतकार, समालोचक ‘शिव कुमार झा टिल्लू’क परिचय हुनके कलम सं

    0
    564

    हमर परिचय नाम: शिव कुमार झा उपनाम: टिल्लू विधा : मैथिली आ हिन्दीक साहित्यकार आ समालोचक जन्म: अपन मातृक बिहार प्रांतक बेगूसराय जिलाक मालीपुर गाँव मे ११ दिसंबर १९७३ केँ भेल. पिता: स्वर्गीय काली कान्त झा बूच ( मैथिली साहित्यक चर्चित गीतकार ) माता: स्वर्गीया चन्द्रकला झा पैतृक गाँव: बिहार प्रान्तक समस्तीपुर जिलाक रोसड़ा अनुमंडल अवस्थित प्रसिद्द गाँव करियन ( दार्शनिक उदयनाचार्यक जन्म भूमि ).

    शिक्षा: स्नातक प्रतिष्ठा,: स्नातकोत्तर , सूचना- प्राद्यौगिकी : साहित्यिक परिचय : सदस्य, “साहित्य प्रकोष्ठ” मिथिला सांस्कृतिक परिषद जमशेदपुर पूर्व सहायक संपादक विदेह मैथिली पत्रिका (अवैतनिक )  सम्प्रति कार्यकारी संपादक , अप्पन मिथिला ( मुंबई से प्रकाशित मैथिली मासिक पत्रिका ) मे अवैतनिक कार्यकारी संपादक. हिन्दीक चर्चित अंतर्जाल न्यूज़ पोर्टल ” इंटरनेशनल न्यूज़ आ व्यूज कॉरपोरेशन” केर सलाहकार . साहित्य अकादेमी भारत सरकार केर बाल साहित्य विषयक संगोष्ठी मे सहभागिता.

    पुरस्कार / सम्मान: मिथिला विभूति सम्मान ( मिथिला सांस्कृतिक परिषद् , जमशेदपुर २०१५ ) साहित्यिक उपलब्धि: प्रकाशित कृति १ अंशु : मैथिली समालोचना ( 2013 AD श्रुति प्रकाशन नई दिल्ली २ क्षणप्रभा : मैथिली काव्य संकलन (2013 AD श्रुति प्रकाशन नई दिल्ली )

    अप्रकाशित कृति : १ सुधि प्रभंजन : मैथिली काव्य संग्रह २ दृष्टि : मैथिली आलोचना और आलेख ३ आत्म उच्छ्वास : हिन्दी काव्य संकलन ४ वासन्ती : वसंत गीत ( ऋतु गीत , होरी गीत , चैती आदि ) ५ गीत प्रसून : मैथिली नवगीत एकर अतिरिक्त बहुत रास कविता, क्षणिका , कथा , लघु-कथा, पद्य , हाइकू, टनका आदि विविध पत्र -पत्रिका मे प्रकाशित. मिथिला -मैथिली क प्रति आत्मिक आ सर्वश्रेष्ठ न्यूज़ आ साहित्य पोर्टल मे चर्चित सम्पादक  ललित नारायण झा’क संग साहित्य पोर्टलक सम्वहनक दायित्व.

    अपन पसीन: मैथिली मे प्रगीत काव्य आ नवगीत लेखन हमर आदर्श मैथिली कवि / गीतकार : महाकवि विद्यापति , कवीश्वर चन्दा झा , कविवर सीताराम झा ,कवि चूड़ामणि काशीकांत मिश्र मधुप , आरसी प्रसाद सिंह , बैद्यनाथ मिश्र यात्री , डॉ ब्रज किशोर वर्मा मणिपद्म , चन्द्रनाथ मिश्र अमर , चन्द्रभानु सिंह ,कालीकांत झा बूच कीर्तिनारायण मिश्र , मार्कण्डेय प्रवासी , रवींद्रनाथ ठाकुर , डॉ बुद्धिनाथ मिश्र , पुरुषोत्तम झा , प्रदीप मैथिलीपुत्र डॉ उदयनारायण सिंह नचिकेता, डॉ चंद्रमणि झा . सम्प्रति :जमशेदपुर मे टाटा मोटर्स केर अधिशासी संस्था जे एम . ए. स्टोर्स लिमिटेड मे महाप्रबंधक पद पर कार्यरत .

    स्थायी पता: ग्राम + पोस्ट : करियन प्रखंड : शिवाजी नगर भाया : इल्मासनगर जिला : समस्तीपुर : ८४८११७ ( बिहार ) अधिवास : कलाकुंज , : रोड नंबर , ०३ : आदर्श नगर , समस्तीपुर : ८४८१०१

    वर्तमान पता: शिव कुमार झा जे. एम . ए. स्टोर्स लिमिटेड मैन रोड बिस्टुपुर जमशेदपुर : ८३१००१

    इ-मेल: shiva.kariyan@gmail.com