सड़क हादसामे ट्रक चालकक मौत, खलासी’क हालत गंभीर

    0
    289

    मधुबनी, मिथिला मिरर: अनुमंडल मुख्यालय सं होइत गुजरय वला एनएच 57 पर शुक्रदिन भोरमे लगभग एक किलोमीटरके भीतर भेल दू टा सड़क दुर्घटनामे एकटा ट्रक चालकक मौत भए गेल, ओतहि एकटा खलासीकें गंभीर हालतमे डीएमसीएचमे भर्ती कराओल गेल।

    जानकारीकें अनुसार शुक्रदिन भोरमे दरभंगा दिस सँ फारबिसगंज दिस जा रहल लोहाक सरिया सं लादल एकटा ट्रक थाना क्षेत्रक दनरा टोलके नजदीक एनएच पर ठाढ़ बालू सं भरल ट्रकमे जोरदार टक्कर मारि देलक। टक्कर मारय वला ट्रकक चालककें मौत घटनास्थले पर भए गेल। घटनाक जानकारीकें बाद थानाध्यक्ष सनोवर खां घटनास्थल पर पहुंच कय स्थितिक मुआयना केलनि आ लहाशकेँ पोस्टमार्डमकें लेल मधुबनी सदर अस्पताल पठा देल गेल।

    मृतकक लहासकें निकालबामे प्रशासनकें काफी मशक्कत करय पड़ल आ अंतमे गैस कटर सं काटिकय लहासकें निकालल गेल। गंभीर रूप सं घायल खलासीकें अनुमंडलीय अस्पतालमे प्राथमिक उपचारके बाद डीएमसीएच रेफर कय देल गेल।