महिला इंजीनियर के कुर्सी सं बान्हि कय जिंदा जराओल गेल

    0
    270
    जानकारी के अनुसार रविदिन देर राति अहियापुर थाना क्षेत्रक कॉलोनी के एकटा निर्माणाधीन मकान मे महिला के जरा देल गेल, जतय एक जोड़ी चप्पल आ हड्डी भेटल अछि।
    इंजीनियर के माँ चप्पल देखि कय लहास के शिनाख्त केलक अछि। बताओल जा रहल अछि जे, मौक़ा सं एकटा नोट सेहो भेटल अछि। मृतक पति सं अलग किराया के मकान मे रहैत छली।
    दरअसल, मौका पर जे नोट भेटल अछि, ओहि मे मृतका अप्पन मां सं बच्चा के ख्याल रखबाक बात कहने छल। मृतका मनरेगा मे जेई छली आ मुरौल मे तैनात छली। सोमदिन भोरे स्थानीय लोकक सूचना पर इंस्पेक्टर विश्वमोहन चौधरी मौका पर पहुँचल। पुलिस के शक अछि जे, शरीर के जलेबाक लेल कोनो केमिकल के इस्तेमाल भेल अछि।
    जानकारी के अनुसार महिला इंजीनियर के पतिक संग संबंध तनावपूर्ण छल, महिलाक पति गाम मे रहैत छल। महिला अफसर एकटा बेटा के संग एतय रहैत छली। वारदात वला दिन एकटा बेटा नानी के घर गेल छल तथा दोसर बेटा दरभंगा पॉलिटेक्निक मे पढ़ाई करैत छल।