ट्रक आ टेम्पूक ठोकर सं तीन गोटेक मौत, 12 घायल

    0
    286

    सुपौल, मिथिला मिरर: एनएच 327 ई पर रविदिन पिपरा थाना क्षेत्रक घाट टोला निर्मलीकें समीप ट्रक-टेम्पूक आमने-सामनेक टक्करमे एक महिला समेत दू गोट बच्चाक मौत भए गेल संगहि दू दर्जन लोक घायल भये गेल। घायलमे चारि गोटेक हालत गंभीर बनल अछि। सब मृतक आ घायल आपसमे रिश्तेदार बताओल जा रहल अछि।

    बताओल जा रहल अछि जे, तेतराही गाम सं एकटा शादी समारोहमे भाग लए किछु लोक टेंपू सं आबि रहल छल। अहि दौरान निर्मलीक समीप सुपौल सं आबि रहल ट्रक आ टेम्पूक बीच टक्कर भए गेल। अहि घटनामे सुपौल थाना क्षेत्रक मरिचा निवासी अशोक पासवानक पत्नी फुलझड़ी देवी (35) आ अरविंद पासवानक बेटी आंचल कुमारी (10) कें मौत भए गेल।

    दुनू मृतक रिश्तामे दादी-पोती छल। दुर्घटनामे घायल अगवानपुर, सहरसा निवासी बमबम पासवानकें पुत्र ओम कुमार (12)कें मौत इलाजक दौरान सदर अस्पतालमे भए गेल।