हमरा कमजोर बुझि कय मुख्यमंत्री बनाओल गेल छल: जीतन राम मांझी

    0
    277

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी नक्सल द्वारा पर्चा छापबाक बात पर शुक्रदिन प्रतिक्रिया दैत एकरा साजिश करार देलनि। ओ कहलनि जे, हमर नक्सली स कोनो दुश्मनी नहि अछि, यदि किनको कोनो नाराजगी छन्हि त हम बैस कय बात करबाक लेल तैयार छी।

    मांझी कहलनि जे, हम डराय बला लोक नहि छी, हमारा कमजोरे बुझि कय लोक मुख्यमंत्री बनउने छल मुदा सब के बाद मे बुझेलनि जे हम कोन माटिक बनल छी। ओ कहलनि जे, हम नक्सलीक जनअदालत मे सेहो जा चुकल छी, आ जरूरत पड़त त नक्सली स बैस कय बातो करबाक लेल तैयार छी। ई आरोप गलत अछि जे, हम ककरो दबाब मे आबि कय काज करैत छी।

    बिना किनको नाम लेने जदयूक स्थानीय नेता आ पूर्व विधायक दिस इशारा करैत मांझी कहलनि जे ओ हमर हत्या सेहो करा सकैत छथि, पहिनहु कतेक हत्या करा चुकल छथि। पूर्व मुख्यमंत्री एकटा होटल स गिरफ्तार कायल गेल व्यापारी के शराब पीबई बला रिपोर्ट के लय नीतीश कुमार पर सेहो हमला केलाह।

    गौरतलब अछि कि, हालहि मे नक्सली द्वारा पर्चा चिपका कय जीतन राम मांझी के चेतावनी दय दबाब मे आबि कय काज करबाक आरोप लगाओल गेल छल।