पूर्णिया मे कैशलेस ट्रांजेक्शन जागरूकता अभियानक शुरूआत

    0
    276

    पूर्णिया, मिथिला मिरर: इंडियन ऑयल के रिटेल आउटलेट मेसर्स नेशनल ऑटो व‌र्क्स पूर्णियाक प्रांगण मे एकेपी सिंह, महाप्रबंधक रिटेल सेल्स बिहार राज्य कार्यालय के द्वारा नगद रहित ट्रांजेक्शन जागरूकता अभियानक गुब्बारा उड़ाकय शुभारंभ केलनि। अहि अवसर पर महाप्रबंधक कैशलेस ट्रांजेक्शन के फायदा गिनबैत ग्राहक सं अधिक स अधिक एकर उपयोग करबाक अपील केलनि ताकि 0.75 प्रतिशत कैशबैकक लाभ भेटि सकय।

    अहि अवसर पर त्रिभुवन कुमार, एसडीआरएसएम बेगूसराय मंडल कार्यालय, संतोष कुमार, सुनील कुमार, पेट्रोल पंपक प्रो. जुबेर अहमद खान सहित बहुतो गणमान्य उपस्थित छलाह। ज्ञात हो कि पूर्णिया शहरक सब इंडियन ऑयल पंप पर ई सुविधा उपलब्ध अछि।