पेंशन भुगतान सहित विभिन्न मांगक लेल प्रदर्शन

    0
    346

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनीकें बेनीपट्टी पंचायत जनप्रतिनिधि संघर्ष समिति बिस्फी द्वारा अनुमंडल कार्यालय बेनीपट्टीकें समक्ष पांच सूत्री मांगक समर्थनमे सामाजिक सुरक्षा पेंशन भुगतानमे सरकारक विफलता आ प्रशासनक मनमानीकें खिलाफ प्रदर्शन कएल गेल। प्रदर्शनकारी लीलाधर उच्च विद्यालय बेनीपट्टी सं बजारक सड़क पर नारेबाजी करैत अनुमंडल कार्यालय पहुंचल, जतय एकटा सभाकें आयोजन कएल गेल।

    सभाकेँ संबोधित करैत वक्ता सब कहलनि जे वृद्धावस्था पेंशन, सामाजिक सुरक्षा पेंशन, नि:शक्ता पेंशनमे छूटल लोकक नाम जोड़बा, सब तरहक पेंशनकें पिछला बकाया राशिक नगद भुगतान, मृत्यु पेंशनकारीकें बकाया राशि उत्तराधिकारीकें देबाक, 60 वर्षक वृद्धकें वृद्धावस्था पेंशनमे बीपीएलकें बाध्यता समापनकें मांग कएल जा रहल छल।

    वक्ता सब कहलनि जे, सरकारक विफलता आ प्रशासनक मनमानीके कारण बिस्फी प्रखंडमे विभिन्न पेंशन योजनाक भुगतानमे लापरवाही बरतल जा रहल अछि।